Best 35+ Maithili Motivational, Inspirational Quotes in Maithili

You are currently viewing Best 35+ Maithili Motivational, Inspirational Quotes in Maithili

Maithili Motivational Quotes: गाैतम बुद्धके का प्रेरणादायी विचार मैथिलीमे, स्वामी विवेकानन्द का प्रेरणादायी विचार मैथिलीमे, बाबा भीम राउ अम्बेडकर का प्रेरणादायी विचार मैथिलीमे, संदीप महेश्वरी का प्रेरणादायी विचार मैथिली मे।

Swami Vivekanand Inspirational Quotes in Maithili

Maithili Motivational Quotes

1. “उठ , जाग आओर  ता धरि नइँ रूक जा धरि लक्ष्य नै प्राप्त भ जाए”

2.  उठ हमर शेर ! आ ई भ्रमणके हटा दिही जे तु भेडा छी, तु एक अमर आत्मा छी, तु मुक्त छी,धन्य छी,तु सनात छी, तु तत्व नइँ छी  आ नइँ त शरिरे छी, तत्व तोहर सेवक छियो तु तत्वके सेवक नइँ

3. व्रह्माण्डके सब शक्तिसभ पहिनेसँ अपनेसभके छियै, आओर अपन आखिँपर हात राखि लैत छियै आ फेर कानैत छियै कि कतेक अन्हार छै दुनियाँ !

4.  जेना अनेक ठामसँ बहैबला धारा समुन्द्रमे जा क’ मिल जाइ छै , तहिना मनुख्ख चलि रहल हरेक रस्ता , चाहे ओ नीक रहए या  खराब भगवान धरि पहुँच जाइ छै

5.  किनको निन्दा नइँ करी,जँ अहाँ सहयोगके लेल हात बढा सकैत छी, त जरूर बढाउ, जँ नइँ बढा सकैत छी ,त अपन हात जोरू,अपन भाएके आशीर्वाद दियौ, आऔर ओकरा अपन रस्तापँ जाए दियौ

Quotes Of Swami Vivekanand  in Maithili

6. दिल आ दिमागके लड़ाइमे सदैव दिलके सुनू

7.  कोनो दिन,जाहिया अहाँकेँ कोनो समस्या नइँ आएत,त अहाँ सुनिश्चित भ जाउ जे अहाँ गलत रस्तापर चलि रहल छियै

8.  स्वतन्त्र हएबाक साहस करू,जत धरि अहाँक विचार जाइए ओत धरि जाइके साहस करू आओर ओकरा अपन जीवनमे उतारैएके साहस करू

9.  कोनो चीजसँ नइँ डर , तु अद्भुत काम करबिही,निडरते छियै जे एक क्षणमे परम आनन्द आनि दैत छै ।

30+ श्री श्री रवि शंकर के अनमोल विचार Sri Sri Ravi Shankar Quotes In Hindi

Gautam Buddha Quotes in Maithili

1. एक क्षण एक दिनके बदैल सकैए। एक दिन एक जीवनके बदैल सकैए आ एक जीवन समुच्चा दुनियाँके बदैल सकैए।

2. जे लोक अपन जिनगी समझदारी सङ्ग जिबैत छै, ओकरा मृत्युसँ सेहो डर नइँ लगैत छै।

3. बितलपर धियान नइँ दी। भविषयक चिन्ता नइँ करू। अपन मोनकेँ बस्स वर्तमानमे  केन्द्रीत करू।

4. पन मोक्ष लेल स्वयं प्रयत्न करी। दोसरपर निर्भर नइँ रही।

5. बेसी बजनिहार व्यक्ती किछु नइँ सीख पबैत छै। समझदार व्यक्ती ओ कहाइत छै जे क्रोध नइँ करए बला धीरज रखए बला आ नीडर होइत छै।

6. कोनो विवादमे जखने हमसब क्रोधित होइत छी, सत्यक मार्ग छोड़ि क’  अपन बचावमे लागि जाइत छी

7. चाहे अहाँ कतबो पवित्र शब्द सुनिलिय वा कि पढिलिय मुदा जाधरि स्वयंकेँ जीवनमे लागू नइँ करबै किछु लाभ नइँ हएत।

8. जे ईर्ष्या आ शत्रुताक आगिमे जरै छै ओकर एहि दुनियाँमे हंसी आ प्रसन्नता स्थायी नइँ भऽ सकैए। जँ अहाँ अन्हारमे डूबल छी त इजोतक खोजी किएक नइँ करै छी।

9. स्वास्थ सबसँ महत्वपूर्ण उपहार होइछै, संतोष सबसँ बढ़िक धन होइछै आ इमन्दारी सबसँ नम्हर सम्बन्ध होइ छै।

10. क्रोधकेँ प्रेमसँ,बुराइकें अच्छाइसँ,स्वार्थीकेँ उदारतासँ आ झुट्ठा लोककेँ सच्चाइसँ जीतल जा सकैत छै

APJ Abdul Kalam: 30+ Motivational Quotes by “Missile Man of India” To Motivate You

Sandeep Maheshwari Quotes in Maithili 

Maithili Motivational Quotes by Sandeep Maheshwari

1. जेकरा अकेले चलैके हिम्मत रहै छै एकदिन ओकर पाछू भीड चलै छै। 

2. कामयाव लोक अपन निर्णयसँ दुनिया बदैल दै छै जब कि नाकामयाव लोक दुनियाके डरसँ अपन फैसला बदैल दै छै।

3. जीत आ हार अहाँक सोचपर निर्भर करैय, मानि लिअ तँ हार हएत जँ ठानि लिअ तँ जीत हएत।

4. जा धरि अहाँ अपनासँ नइँ हारि जएबै; ता धरि दुनियाक कोनो तागत हाराए नइँ सकत।

5. जेना पतझरके बिना गाछमे पत्ता नइँ आबै छै; ठीक ओहेने कठीनाइ आ संघर्षके बिना नीक दिन नइँ आबै छै।

6. समय तु जतेक परेाशान करि ले हमरा लेकिन एकदिन हम तोरा बदैल देबौ।

7. यदि अहाँ ओइ बखत हसिँ सकै छी जब  अहाँ भितर पुरापुरी टुटि चुकल छी; तँ दुनियाक कोनो तागत अहाँकेँ तोड़ि नइँ सकत।

8. जिन्गीमे पछतेनाय छोडि दिही; किछ एहन कर कि  तोरा छोड़ैबला लोक पछताबौ । 

9. जे आदमी कहियो गलती नइँ कएलक, से कहियो किछ नया करैके कोसिस नइँ कएलक।

10. गलती करैमे कोनो खराब बात नइँ अछि, मुदा बेर बेर एके गलती कएनाइ सबसँ बड़का गलती अछि।

Dr. B. R. Ambedkar Quotes In Maithili

हम रातिभरि एहि लेल जगैत छी किएकी हमर समाज सुतैत अछि।

2. जे कोम इतिहास नइँ जनैछै ओ कोम कहियो इतिहास नइँ बनि सकैए।

3. बुद्धिक विकास मानव अस्तित्वके पहिल लक्ष्य हेबाक चाही।

4. कोनो चिजके स्वाद बदलल जा सकैए मुदा विषकेँ अमृत किन्नहु नइँ कएल जा सकैए।

5. सागरमे मिलिक’ अपन पहिचान गुमौनिहार पानीक एक बुंदक विपरीत मनुख जइ समाजमे रहैत अछि ओत ओ अपन पहिचान नइँ गमबैत अछि।

6. समान्यता: कोनो स्मृतिकार ई नइँ बताएत जे अहाँक सिद्धान्त किए अछि आ केहन अछि।

7. मनुख बस समाजक विकास लेल नइँ जन्मल अछि बल्की स्वयंके विकास लेल जन्मल अछि।

8. गुलाम बनिक’ जीयब त कुत्ता समझिक’ लात मारत ई दुनियाँ आ नबाब बनिक’ जीयब त शेर समझिक’ सलाम करत ई दुनियाँ।

9. सब लोक जे ‘मिल’ सिद्धान्त अनुसार ‘एक देश दोसर देशपर’ शासन नइँ कऽ सकबाक नारा दोहरबैत अछि ओकरा ज्ञात हेबाक चाही जे ‘एक वर्ग सेहो दोसर वर्गपर’ शासन नइँ कऽ सकैए।

10. एकटा सुरक्षित सेना एकटा सुरक्षित सीमासँ बहुत बेसी नीक छै।